सिरहा, ६ आसिनः जेनजी प्रदर्शनक क्रममे अइ ठामक लहानस्थित खाद्य व्यवस्था तथा व्यापार कम्पनीके गोदामसँ लुटल गेल खाद्यान्नमध्ये ३ सओ क्वीन्टल चाउर आ चिनी फिर्ता कएल गेल अइछ ।
लहान नगरपालिका–१ स्थित गोदाममे भादब २४ गते भेल लुटपाटमे चाउर, चिनी, धान, जुटके बोरा आ कार्यालयके सामानसभ लुटल गेल छल । कार्यालयके अनुसार, लुटल गेल जमा खाद्यान्नमध्ये अखनधैर २ सओ ९३ क्वीन्टल ४३ किलो चाउर आ सात क्वीन्टल ८४ किलो चिनी फिर्ता कएल गेल अइछ ।
खाद्य कम्पनी लहान शाखाके प्रमुख दीपक सुनार फिर्ता कएल गेल खाद्यान्न इलाका प्रशासन कार्यालय, इलाका प्रहरी तथा स्थानीय युवाके सहयोगमे सङ्कलन कएल गेल जानकारी देलैन । तहिना, स्टिलके दराज छटा, सोफा दूटा, काठके चौकी एकटा, कुर्सी थीनटा आ त्रिपाल एकटा सेहो फिर्ता भेल ओ जानकारी देलैन ।
चाइरटा गोदामसँ लुटल गेल सामानमध्ये आठ हजार १ सओ ४८ क्वीन्टल चाउर, तीन हजार २ सओ २० क्वीन्टल चिनी, ५३ क्वीन्टल २१ किलो धान आ ९८ हजार ८ सओ १५ टा जुटके बोरा छल, जेकर अनुमानित दाम करिब १० करोड़ ९१ लाख टकासँ बेसी रहल प्रमुख सुनार बतौलैन ।







